सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

प्रेरणा: बाबा नागार्जुन 'यात्री' की प्रसिद्ध मैथिलि कविता | Prerna Maithili Poem by Nagarjun

प्रेरणा: बाबा नागार्जुन 'यात्री' की प्रसिद्ध मैथिलि कविता | Prerna Maithili Poem by Nagarjun

जगमे सभसौं पछुआयल छी,
मैथिल गण! आबहु आगु बढू;
निज अवनति-खाधिक बाधक भै
मिलि उन्नति-शिखरक उपर चढू।


अछि हाँइ-हाँइ कै लागि पड़ल
सभ अपना-अपना उन्नतिमे,
उत्थानक एहि सुभग क्षणमे
घर बैसि अहीं ने बात गढू।


‘राणा प्रताप, शिवराज, तिलक’
हिनका लोकनिक जीवन-कृति सैं,
तजि आलसकेँ प्रिय बन्धु वृन्द!
किछु सेवाभावक पाठ पढू।


भाषा, भूषा ओ भेष अपन हो
जगजियार झट जगभरिमे,
ई अटल प्रतिज्ञा ऐखन कै पुनि
मातृभूमि पर सोन मढू।

- यात्री

कविक बारे मे: बाबा नागार्जुन "यात्री"

बाबा नागार्जुन, जिनका असल नाम वैद्यनाथ मिश्र "यात्री" छल, मैथिलि आ हिन्दी साहित्यक एकटा प्रमुख स्तंभ छथि। हुनका 'जनकवि' (जनताक कवि) केर रूप मे जानल जाइत अछि। 'यात्री' हुनकर मैथिलि उपनाम छल।

हुनकर कविता मे सामाजिक चेतना, शोषणक विरुद्ध आवाज आ गामक माटिक सुगंधि भेटैत अछि। मैथिलि साहित्य मे हुनकर योगदान, खास क' 'पत्रहीन नग्न गाछ' (जाहि लेल हुनका साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल), अविस्मरणीय अछि।

अहाँक लेल आओर कविता

जँ अहाँ केँ ई कविता नीक लागल, तँ हमर ई संग्रह सेहो अवश्य पढ़ू:

हमर मैथिलि संग्रह सँ:

हिन्दी साहित्यशाला सँ:

अपन विचार साझा करू

बाबा नागार्जुनक "प्रेरणा" कविता अहाँ केँ केहन लागल? अपन विचार नीचाँ कमेंट बॉक्स मे अवश्य लिखू।

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

नागार्जुन की मैथिली कविता 'विलाप' (अर्थ सहित) | Vilap by Nagarjun

नागार्जुन की प्रसिद्ध मैथिली कविता: विलाप विलाप - Vilap बाबा नागार्जुन: मैथिली के 'यात्री' बाबा नागार्जुन (मूल नाम: वैद्यनाथ मिश्र) को हिंदी साहित्य में उनके प्रगतिशील और जनवादी लेखन के लिए जाना जाता है। 'सिंदूर तिलकित भाल' जैसी उनकी हिंदी कविताएँ जितनी प्रसिद्ध हैं, उतना ही गहरा उनका मैथिली साहित्य में 'यात्री' उपनाम से दिया गया योगदान है। मैथिली उनकी मातृभाषा थी और उनकी मैथिली कविताओं में ग्रामीण जीवन, सामाजिक कुरीतियों और मानवीय संवेदनाओं का अद्भुत चित्रण मिलता है। 'विलाप' कविता का परिचय नागार्जुन की 'विलाप' (Vilap) मैथिली साहित्य की एक अत्यंत मार्मिक और प्रसिद्ध कविता है। यह कविता, उनकी अन्य मैथिली कविताओं की तरह ही, सामाजिक यथार्थ पर गहरी चोट करती है। 'विलाप' का मुख्य विषय समाज की सबसे दर्दनाक कुरीतियों में से एक— बाल विवाह (Child Marriage) —और उसके फलस्वरूप मिलने वाले वैधव्य (Widowhood) की पीड़ा है। यह कविता एक ऐसी ही बाल विधवा की मनोदशा का सजीव चित्रण करती है। नान्हिटा छलौँ, दूध पिबैत रही राजा-रानीक कथा सुनैत रही घर-आँग...

Vidyapati Poems in Maithili & Hindi | विद्यापति की कविता | शिव नचारी Lyrics

क्या आप ' मैथिल कवि कोकिल ' विद्यापति की प्रसिद्ध मैथिली कविताएँ खोज रहे हैं? इस लेख में, हम उनकी सबसे प्रशंसित रचनाओं में से एक, एक ' शिव नचारी ' (Shiv Nachari), को उसके मूल गीतों (lyrics) के साथ प्रस्तुत कर रहे हैं। इस मैथिली कविता के पीछे के गहरे भाव को आसानी से समझने के लिए, हम इसका सरल हिन्दी भावार्थ (Hindi Meaning) भी प्रदान कर रहे हैं। शिव नचारी एत जप-तप हम की लागि कयलहु, कथि लय कयल नित दान। हमर धिया के इहो वर होयताह, आब नहिं रहत परान। नहिं छनि हर कें माय-बाप, नहिं छनि सोदर भाय। मोर धिया जओं ससुर जयती, बइसती ककरा लग जाय। घास काटि लऔती बसहा च्रौरती, कुटती भांग–धथूर। एको पल गौरी बैसहु न पौती, रहती ठाढि हजूर। भनहि विद्यापति सुनु हे मनाइनि, दिढ़ करू अपन गेआन। तीन लोक केर एहो छथि ठाकुर गौरा देवी जान। Vidyapati Poems in Maithili & Hindi कवि परिचय: विद्यापति कवि विद्यापति (जन्म लगभग 1352-1448) एक महान मैथिली कवि और संस्कृत विद्वान थे, जिन्हें आदरपूर्वक 'मैथिल कवि कोकिल' (मिथिला का कोयल) कहा जाता है। वे विशेष रूप से राधा-कृष्ण के प्रेम वर्णन और भगवान शिव ...

मिथिले - Mithile | Maithili Patriotic Poem by Baba Nagarjun (Yatri) | Meaning & Lyrics

🔥 New Release: "संयुक्ताक्षर" (Sanyuktakshar) - Read the viral poem defining Love through Grammar मैथिली साहित्य के सशक्त हस्ताक्षर और जनकवि बाबा नागार्जुन (जिन्हें मैथिली में 'यात्री' जी के नाम से जाना जाता है) की कविताएँ केवल शब्द नहीं, बल्कि मिथिला की आत्मा हैं। आज हम उनकी एक अद्भुत देशभक्तिपूर्ण रचना "मिथिले" (Mithile) का रसास्वादन करेंगे। इस कविता में 'यात्री' जी ने मिथिला के गौरवशाली अतीत, ऋषियों की तपस्या, विद्वानों की प्रतिभा और वर्तमान की विडंबना का मर्मस्पर्शी चित्रण किया है। यह कविता हमें अपनी जड़ों की ओर लौटने और अपने इतिहास पर गर्व करने की प्रेरणा देती है। "मुनिक शान्तिमय-पर्ण कुटीमे..." — Remembering the ancient spiritual glory of Mithila. मिथिले (Mithile) कवि: वैद्यनाथ मिश्रा "यात्री" मुनिक शान्तिमय-पर्ण कुटीमे, तापस...