🔥 New Release: "संयुक्ताक्षर" (Sanyuktakshar) - Read the viral poem defining Love through Grammar प्रेरणा: बाबा नागार्जुन 'यात्री' की प्रसिद्ध मैथिलि कविता | Prerna Maithili Poem by Nagarjun जगमे सभसौं पछुआयल छी, मैथिल गण! आबहु आगु बढू; निज अवनति-खाधिक बाधक भै मिलि उन्नति-शिखरक उपर चढू। अछि हाँइ-हाँइ कै लागि पड़ल सभ अपना-अपना उन्नतिमे, उत्थानक एहि सुभग क्षणमे घर बैसि अहीं ने बात गढू। ‘राणा प्रताप, शिवराज, तिलक’ हिनका लोकनिक जीवन-कृति सैं, तजि आलसकेँ प्रिय बन्धु वृन्द! किछु सेवाभावक पाठ पढू। भाषा, भूषा ओ भेष अपन हो जगजियार झट जगभरिमे, ई अटल प्रतिज्ञा ऐखन कै पुनि मातृभूमि पर सोन मढू। - यात्री कविक बारे मे: बाबा नागार्जुन "यात्री" बाबा नागार्जुन, जिनका असल नाम वैद्यनाथ मिश्र "यात्री" छल, मैथिलि आ हिन्दी साहित्यक एकटा प्रमुख स्तंभ छथि। हुनका ' जनकवि ' (जनताक कवि) केर रूप मे जानल जाइत अछि। 'यात्री' हुनकर मैथिलि उपनाम छल। हुनकर कविता मे सामाजिक चेतना, शोष...