सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

नब नचारी (Nab Nachari) - बाबा नागार्जुन "यात्री" | Maithili Poem

नब नचारी (Nab Nachari) - बाबा नागार्जुन "यात्री" | Maithili Poem

वैद्यनाथ मिश्रा "यात्री" मैथिलि कविता

प्रस्तुत अछि मैथिलिक महान जनकवि बाबा नागार्जुन "यात्री" जीक कालजयी व्यंग्य कविता 'नब नचारी' (Nab Nachari)। ई कविता बाबा बैद्यनाथ (शिव) केँ संबोधित करैत, समाज मे व्याप्त गरीबी, पाखंड आ व्यवस्थाक विफलता पर एकटा तीक्ष्ण प्रहार अछि। 'यात्री' जीक ई प्रसिद्ध मैथिलि कविता (Maithili Poem) अपन बेबाक अंदाज़क लेल जानल जाइत अछि। पूरा कविता नीचाँ पढ़ी

बाबा नागार्जुन मैथिलि कविता 
अगड़ाही लागउ, वज्र खसउ,
बरू किच्छु होउक...
नहि नबतै तोरा खातिर किन्नहु हमर माथ !
पाथर भेलाह तों सरिपहुँ बाबा बैदनाथ !

Baba Baidyanath (Lord Shiva) in meditation - context for 'Nab Nachari' Maithili Poem

बेत्रेक अन्न भ’ रहल आँट नेना-भुटका

दुबरैल आंगुरें कल्लर सभ बीछए झिटुका

मकड़ाक जालसँ बेढ़ल छइ चुलहाक मूँह

थारी-गिलास सब बेचि बिकिनि खा गेलइ, ऊँह

कैंचा जकरा से, खाए भात

क’ रहल मौज से, जकरा छइ कोनो गतात

सरकारी राशन द’ रहलइए-

अन्हरागाँही चउबरदामे चाँइ-चोर

आन्हर-बहीर, बम्भोला !

तोरा पर उठैत अछि तामस हमरा बड्ड जोर

गौरी पहिरथि फाटल भूआ

कार्तिक-गणेश छथि गीड़ि रहल

उसिनल अगबे अल्हुआक पात

बइमान बापसँ की माँगथु ग’ दालि-भात

अपने पबैत छह भोग छप्पनो परकारक

अनका लेखें तँ दुर्लभ छइ आको धथूर

बुझि पड़ितहु जँ सुनितहक-

उपासल कमरथुआ केर मुइल सूर !

बरू किच्छु कह’

पचकल लोढ़ा, तों धन्न रह’

नहि आब नचारी केओ गओतहु !

जे बूड़ि हैत से बोकिअओतहु !

शिव परिवार (शिव, पार्वती, गणेश, कार्तिक) - 'नब नचारी' कविता में वर्णित परिवारक संदर्भ

नहि रहलइ ककरो किच्छु मात्र तोहर भरोस ....
माटिक महत्तवकें चीन्हि लेलक ई देश-कोश !
पाथर भेलाह तों सरिपहुँ बाबा बैदनाथ !
नहि नबतै तोरा खातिर किन्नहु हमर माथ ! 

-

यात्री

बाबा नागार्जुन मैथिलि कविता 
वैद्यनाथ मिश्रा "यात्री" मैथिलि कविता

विक बारे मे: बाबा नागार्जुन "यात्री"

बाबा नागार्जुन, जिनका असल नाम वैद्यनाथ मिश्र "यात्री" छल, मैथिलि आ हिन्दी साहित्यक एकटा प्रमुख स्तंभ छथि। हुनका 'जनकवि' (जनताक कवि) केर रूप मे जानल जाइत अछि। 'यात्री' हुनकर मैथिलि उपनाम छल।

हुनकर कविता मे सामाजिक चेतना, शोषणक विरुद्ध आवाज आ गामक माटिक सुगंधि भेटैत अछि। मैथिलि साहित्य मे हुनकर योगदान, खास क' 'पत्रहीन नग्न गाछ' (जाहि लेल हुनका साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल), अविस्मरणीय अछि। 'नब नचारी' हुनकर ओहि प्रखर व्यंग्य शैलीक एक बेहतरीन उदाहरण अछि।

अहाँक लेल आओर कविता

जँ अहाँ केँ ई कविता नीक लागल, तँ हमर ई संग्रह सेहो अवश्य पढ़ू:

हमर मैथिलि संग्रह सँ:

हिन्दी साहित्यशाला सँ:

अपन विचार साझा करू

बाबा नागार्जुनक "नब नचारी" पर अहाँक की विचार अछि? ई कविता अहाँ केँ केहन लागल, अपन प्रतिक्रिया kavitasadan@gmail.com मे अवश्य लिखू

...अपन प्रतिक्रिया **नीचाँ कमेंट बॉक्स मे** अवश्य लिखू

टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

नागार्जुन की मैथिली कविता 'विलाप' (अर्थ सहित) | Vilap by Nagarjun

नागार्जुन की प्रसिद्ध मैथिली कविता: विलाप विलाप - Vilap बाबा नागार्जुन: मैथिली के 'यात्री' बाबा नागार्जुन (मूल नाम: वैद्यनाथ मिश्र) को हिंदी साहित्य में उनके प्रगतिशील और जनवादी लेखन के लिए जाना जाता है। 'सिंदूर तिलकित भाल' जैसी उनकी हिंदी कविताएँ जितनी प्रसिद्ध हैं, उतना ही गहरा उनका मैथिली साहित्य में 'यात्री' उपनाम से दिया गया योगदान है। मैथिली उनकी मातृभाषा थी और उनकी मैथिली कविताओं में ग्रामीण जीवन, सामाजिक कुरीतियों और मानवीय संवेदनाओं का अद्भुत चित्रण मिलता है। 'विलाप' कविता का परिचय नागार्जुन की 'विलाप' (Vilap) मैथिली साहित्य की एक अत्यंत मार्मिक और प्रसिद्ध कविता है। यह कविता, उनकी अन्य मैथिली कविताओं की तरह ही, सामाजिक यथार्थ पर गहरी चोट करती है। 'विलाप' का मुख्य विषय समाज की सबसे दर्दनाक कुरीतियों में से एक— बाल विवाह (Child Marriage) —और उसके फलस्वरूप मिलने वाले वैधव्य (Widowhood) की पीड़ा है। यह कविता एक ऐसी ही बाल विधवा की मनोदशा का सजीव चित्रण करती है। नान्हिटा छलौँ, दूध पिबैत रही राजा-रानीक कथा सुनैत रही घर-आँग...

Vidyapati Poems: Shiv Nachari Lyrics (Maithili/Hindi) & Meaning | एत जप-तप

महाकवि विद्यापति : शिव नचारी (एत जप-तप) कल्पना कीजिये उस माँ की पीड़ा की, जिसने अपनी कोमल पुत्री के लिए राजकुमार सोचा था, पर द्वार पर भस्म रमाये, सर्पों की माला पहने एक जोगी आ खड़ा हुआ। यह केवल एक विवाह नहीं, बल्कि लोक-व्यवहार और अध्यात्म का द्वंद्व है। 'मैथिल कोकिल' विद्यापति की यह प्रसिद्ध 'शिव नचारी' उसी वात्सल्य और चिंता का मर्मस्पर्शी चित्रण है। आइये, इस रचना का मूल पाठ, अंग्रेजी लिप्यंतरण (Lyrics) और सरल हिंदी भावार्थ पढ़ते हैं। The Ascetic Shiva: A Mother's Worry शिव नचारी (Maithili Lyrics) एत जप-तप हम की लागि कयलहु, कथि लय कयल नित दान। हमर धिया के इहो वर होयताह, आब नहिं रहत परान। नहिं छनि हर कें माय-बाप, नहिं छनि सोदर भ...

दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ: पारंपरिक मैथिली विवाह गीत (Lyrics & Meaning) | Mithila Vivah Geet

मिथिला की संस्कृति, यहाँ के लोकगीत और यहाँ की मिठास पूरी दुनिया में अद्वितीय है। विवाह संस्कार में जब नई नवेली दुल्हन (दुलहिन) ससुराल की गलियों में कदम रखती है, तो यह गीत 'दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ' (Dulhin Dhire Dhire Chaliyau) एक मीठी हिदायत और स्वागत के रूप में गाया जाता है। 'दुल्हा धीरे-धीरे चल्यो' जैसे गीत इन्ही पारंपरिक रस्मों की शोभा बढ़ाते हैं। जिस प्रकार महाकवि विद्यापति ने मैथिली साहित्य को ऊंचाइयों पर पहुँचाया, उसी प्रकार हमारे पारंपरिक विवाह गीतों ने हमारी संस्कृति को जीवित रखा है। नीचे इस प्रसिद्ध गीत के लिरिक्स, हिंग्लिश अनुवाद और पीडीएफ डाउनलोड लिंक दिए गए हैं। Maithili Lyrics: Dulhin Dhire Dhire Chaliyau दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ ससुर गलिया, दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ ससुर गलिया। ससुर गलिया हो, भैंसूर गलिया, दुलहिन सासु सँ बोलियौ मधुर बोलिया। दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ ससुर गलिया। मधुर बोलिया हो, अनार कलिया, मधुर बोलिया हो, अनार कलिया। दुलहिन ननदि के दियौ हजार डलिया, दुलहिन धीरे-धीरे चलियौ ससुर गलिया। हजार डलिया हो, गुलाब कलिया, हजार डलिया हो, गुल...